रायपुर
रायपुर
Raipur | |
---|---|
देश | भारत |
राज्य | छत्तिसगढ |
जिला | रायपुर |
सरकार | |
• मेयर | प्रमोद दुबे |
• क्रम | २२६ |
उन्नतांश | २९८.१५ मिटर (९७८.१८ फिट) |
जनसङ्ख्या (२०१६)[१] | |
• महानगर | १४,५६,४०६ |
• क्रम | ४५अम |
• महानगर | १५,४६,०७६ |
वासिन्दा | रायपुरिया |
भाषासभ | |
• आधिकारिक | हिन्दी, छत्तिसगढ़ी आ अङ्ग्रेजी |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय) |
पोस्टल कोड | ४९२००१ |
सवारी दर्ता | CG-04 |
वेबसाइट | raipur.gov.in |
रायपुर (/ˈraɪp[invalid input: 'oor']/ उच्चारण (सहायता जानकारी)) भारतीय राज्य छत्तिसगढमे अवस्थित रायपुर जिलाक एक शहर छी । ई शहर राजधानी होमएक संगे रायपुर जिलाक प्रशासनिक मुख्यालय छी । ई छत्तिसगढक सभसँ पैग शहर सेहो छी । सन् २००० नवम्बर १ मे छत्तिसगढ राज्य स्थापना होमएसँ पहिने ई मध्य प्रदेशक भाग छल ।
इतिहास
[सम्पादन करी]पुरान भवन आ किलाक अवशेषमे आधारित किछ इतिहासविद्क मान्यतानुसार ई शहर ९आम शताब्दीसँ अस्तित्वमे अछि । मुदा प्राय लोकक माननाए अछि कि ई शहर १४आम शताब्दीमे बैसाएल गेल छल ।
जनसाङ्ख्यिकी
[सम्पादन करी]सन् २०११ क भारतक जनगणनाक अनुसार रायपुरक जनसङ्ख्या १०,१०,०८७ अछि । एतयक लिङ्गानुपात ९४६ महिलासभ प्रति १००० पुरुषक अछि । रायपुरक साक्षरता दर ८६.९०% अछि, पुरुषसभक साक्षरता दर २९.३९% आ महिलासभक साक्षरता दर ८१.१०% अछि ।
भूगोल आ जलवायु
[सम्पादन करी]रायपुर खारुन नदीक तटमे बैसल छत्तिसगढक सबसँ पैग शहर छी । रायपुर एक पैग मैदान (छत्तिसगढक मैदान) क मध्यमे अवस्थित अछि जे धान का कटोरा क नामसँ सेहो जानल जाइत अछि । रायपुरक पूर्वमे महानदी नदी बहैत अछि। उत्तर-पश्चिमममे मैकालक पहाडी अछि । उत्तरी तरफ छोटा नागपुरक पठार आ दक्षिणमे बस्तरक पठार अछि । रा���पुर मुम्बई-हावडा रेल लाइनमे अवस्थित अछि आ ई सम्पूर्ण महत्वपूर्ण शहरसभसँ जुडल अछि । राष्ट्रिय राजमार्ग ६ एहो शहर भऽ गुजरैत अछि आ अन्तिममे ४३ शहरसभ भऽ विशाखापट्नमधरि जाइत अछि । रायपुर मुम्बई, दिल्ली आ अन्य शहरसभसँ हवाई मार्गद्वारा जुडल अछि । रायपुरक हवाई अड्डा माना मे अछि ।
तापक्रम: गर्मीमे ४५ सँ २९ सेल्सियस जाडमे २७ सँ १० सेल्सियस वर्षा लगभग १२० मिमी (जुलाईसँ सितम्बर)
नव रायपुर
[सम्पादन करी]सन् २००० मे स्थापना भेल छत्तिसगढ राज्यक राजधानी रायपुरक प्रशासनिक केन्द्र नव रायपुर मे स्थानान्तरण करैलेल प्रस्ताव कएल गेल अछि । ई एक विश्व स्तरीय परियोजना छी जाहिमे वर्तमान रायपुरसँ २५ किमी दूर एक नव शहरक सृजन होइत । एकर लेल एक पैग क्षेत्रक भूमिक अर्जन कएल जा रहल अछि । नव रायपुरक लेल समग्रमे ८०,००० हेक्टेयर भूमि अर्जित कएल जाइत । नव रायपुरमे २२५ किमी पक्की सडक अछि । नव रायपुरक परसदा क्षेत्रमे अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट स्टेडियम बनाएल केल गेल अछि ।[३]
अर्थव्यवस्था
[सम्पादन करी]रायपुर सम्पूर्ण छत्तिसगढ आ उडिसाक लेल थोकक मन्डी छी ई वाहेक एतय एक उद्योगिक शहर अछि ।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "Cities having population 1 lakh and above, Census 2011" (PDF)। The Registrar General & Census Commissioner, India। अन्तिम पहुँच 25 June 2014।
- ↑ "Urban Agglomerations/Cities having population 1 lakh and above" (PDF)। censusindia। The Registrar General & Census Commissioner, India। अन्तिम पहुँच 25 June 2014।
- ↑ नया रायपुर विकास प्राधिकरण
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]विकिमिडिया कमन्समे रायपुरसँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |
- रायपुर जिला प्रशासन सङ्ग्रहित २००५-०३-२४ वेब्याक मेसिन
- रायपुर
- रायपुर जिला सङ्ग्रहित २०११-०६-२५ वेब्याक मेसिन